हरियरके कर्चिमे धक उराईब
आन्दोलन कारिके आङ्गी पेन्हाईब
आ रोडे रोड खुमसे दौराईब
एकबेर उठ रानी
तोरा मन्त्री बनाईब । २


रे सानी लगाक सबके खुम ढौवा खियाईब
केकरो खोप्ची त केकरो होटलमे लजाईब
अगर कोनो नेता एकोरती हिलै
त हम ओकरा कनियाके पटाईब
अगर कहु बार्तामे बात नै मिलै
त रे हम ओकर सम्धी बैनजाईब
एकबेर उठ रानी
तोरा मन्त्री बनाईब । २

जग जग प तोरासे भाषन कर्बाईब
कहियो सारी त कहियो लेहङ्गा पेन्हाईब
तोरा गर्मी नै लगौ रानी
लेहङ्गा आ सारिमे गतर गतर ए.सि बला जाली लगबाईब
गे हम अपने सबदिन चुवाईब पसिना
आ तोरा सबदिन लोटे लोटे दूध पियाईब
एकबेर उठ रानी
तोरा मन्त्री बनाईब । २


गे सालमे तीन तीन बेर तोहर बर्डे मनाईब
मेयर से लक मन्त्रीतक के बजाईब
तोरे हाथसे पर्लर आ लटगेना दोकानके उदघाट्न
कर्बाईब


गे संसदमे तु बजिहे कुछो
हम सब नेतासबसे ताली बज्बाईब
अगर भजाई कुछ अनुचित
रे हम सम्बिधान सेहो सन्सोधन कर्बाईब
एकबेर उठ रानी
तोरा मन्त्री बनाईब । २