ओलि आ प्रचण्ड के
बड निमन भेल छल मेल
नै जाबे केकर नजर लाइगेल
दुई तिहाइके सरकार भगेलै फेल
कुर्सी लागि माइर भेल
टुइट गेलै मेल
आब देखु केहन गन्दा
राजनिती के भरहल अछि खेल
हमर हमर के चक्कर मे
नेकपा दरतो भेलै फेल
मोने मोने सोचैया कँग्रेसिया
हमर राजनिती बुझाइय सफल भेल
कुर्सी केर लडाइ मे जनता मैरगेल
देश जाइ भाड मे
चल खेलैत अछी पार्टी कुर्सि के खेल

कनि तोय लुट कनि हम
चल मिलक देश लुटैत छी
एक दोसर के दोष लगाक
जनता के उल्लु बनाबैत छी
जाइत धर्मके जाल बिछाक
चल सब के लडबैत छी
कनि तोय लुट कनि हम
चल मिलक देश लुटैत छि

जाइत धर्म पार्टी
आ कुर्सि के लडाइ मे
कतेको निर्दोष भुजागेल
राजनिती के कढाइ मे

(✍️✍️मुकेश कुमार साह मलेसिया