गर्ब स कहैछि हम छि किसान यौ
अखारमे जब बैर्शैय मोति तब रोपई छि धान यौ।

 

लगाबै छि हम धोती कुर्ता तब पहिरई छि जिन्स कोट यौ।
माथमे बन्हैछि गम्छाक पगरी नई करई छि बिदेशी फ्यासनप् चोट यौ।

उबजाबैई छि हम सोना चाँदी तबोने बरईछि गुमान यौ।
अपना हम खाईछि नुन रोटी आ दुनियाँल्या रहैछि परेसान यौ।

 

देखक अपन मधेसक हरियाली मन हैय हमर दङ्ग दङ्ग यौ।
नई क क भेदभाव अगाडि बर्हु सब किसान भाई सङ्ग सङ्ग यौ।

नाम:- ऋतिक मण्डल
ठेगाना:- लक्ष्मीपुर पतारी गाउँपालिका -०३ हरिनगर , सिरहा ।